दुनु किडनी केर मरीज नंदनी लेल मसीहा बनला लालू, करेथीन नंदनी केर इलाज

पटना। 07 फरवरी। नंदनी दुनु किडनी के गंभीर बीमारी से पीड़ित छथि, ओ इलाजक लेल लालू प्रसाद यादव सँ मदद मांगबाक लेल हुनका आवास पर पहुंचली।

जहिना नंदनी अप्पन परिवारक संग लालू के आवास पर पहुंचली, गेट पर तैनात जवान हुनका सभके रोइक देलैन्ह। हुनका सभक भेट करबाक कारण बुझलाक बाद तैनात जवान तुरंत एहि बातक खबैर आवास के भीतर लालू तक पहुंचेलैन्ह। बाद मे नंदनी के आवास के भीतर बजाओल गेलैन्ह।

नंदनी लालू यादव क' कहली कि हुनकर दुनु किडनी फेल भ' गेल छैन्ह। पिछ्ला 2 बरख से ओ डायलिसिस के सहारे जी रहल छथि। घरक आर्थिक स्थिति ठीक नहि छैन्ह, बीमारी केर कारण आर बिगरल जे रहल अछि।  डाक्टर सभ ट्रांसप्लांट के लेल कहने छैन्ह मुदा परिवारक स्थिति एहेन नहि अछि कि ट्रांसप्लांट करवा सकैछ। 

अपने के बता दी कि नंदनी के पिता वकील छैथ, हुनकर आमदनी ओतेक नहि छैन्ह कि ओ बेटीक किडनी ट्रांसप्लांट करवा सकता। नंदनी लालू यादव से कहली कि बड्ड उम्मीदक संग अपने लग आयल छी। इलाजक लेल कनि मदैद क' दिया। 

एहि पर लालू हुनका सांत्वना दैत कहलैन कि आब अहाँके चिंता करबाक जरुरत नहि अछि, अहाँके कुनु दिक्कत नहि होयत। हमरा से जता धरी भ' सकत मदैद करब। हम डॉक्टर सभसे बात करि जल्दे इलाज केर व्यवस्था करब। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने