
पटना। 16 फरवरी। बिहार मे चैल रहल इंटरमीडिएट परीक्षा के दोसर दिन कदाचार मे लिप्त 204 विद्यार्थि सभके परीक्षा से निष्कासित क' देल गेलैन्ह। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति (बीएसईबी) द्वारा जारी विज्ञप्ति केर अनुसार 204 विद्यार्थि सभके परीक्षा से निष्कासित करबाक अलावा अरवल आर गया जिला मे तीन विद्यार्थि के दोसरक परीक्षा दैत गिरफ्तार कायल गेलैन्ह। परीक्षा से निष्कासित काय गेल विद्यार्थि सभमे सबसे बेसी 28 भोजपुर जिला मे, 20 जहानाबाद मे आर 16 पटना जिला मे शामिल अछि।
बिहार मे इंटरमीडिएट के बरख 2016 के परीक्षा मे टॉपर्स घोटाला से प्रदेश के भेल फजीहत के देखैत बीएसईबी अध्यक्ष आनंद किशोर केर समक्ष निष्पक्ष आ कदाचारमुक्त परीक्षाक आयोजन एक बड़का चुनौती अछि आर ओ लगातार स्वयं विभिन्न परीक्षा केंद्र सभपर जे परीक्षार्थि सभक तलाशी ल' रहल छैथ।
आगामी 25 फरवरी धरी चलै बला इंटरमीडिएट परीक्षा मे कुल 12 लाख 61 हजार 793 परीक्षार्थी शामिल भेल छैथ, जाहि क' सुचारू रूप से संपन्न करेबाक लेल 1275 केंद्र बनाओल गेल अछि आर भारी संख्या मे सुरक्षा बल केर तैनाती कायल गेल अछि। पिछला बरख एहि परीक्षा मे 11 लाख 58 हजार परीक्षार्थी शामिल भेल छल।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।