ट्रकक धक्का से महिला केर मौत, महिलाक बेटी गंभीर रुपे घायल

सहरसा। 28 फरवरी। मधेपुरा मुख्य मार्ग पर बैजनाथपुर चौक से एक किलोमीटर के दूरी पर एक ट्रक बाइक के धक्का माइर देलनि जाहिसे   बाइक पर सवार महिला के मौके पर मौत भ' गेलैन्ह। जखनकि बाइक पर सवार महिला के पुत्री गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। 

प्राप्त जानकारी के मुताबिक खगड़िया जिलाक बैलदौर निवासी रंजु देवी व हुनक पुत्री काजल कुमारी इलाज के लेल एक निजी मेडिकल कॉलेज जायत छली। एतबे म' मधेपुरा दिस से आइब रहल कोयला लादल ट्रक पाछा से बाइक के धक्का मैर देलनि। घायल काजल केर इलाज सदर अस्पताल मे चैल रहल अछि। 

खबैर भेटते बैजनाथपुर ओपी प्रभारी शंभुनाथ सिंह घटनास्थल पर पहुँच  शव के कब्जे मे ल' पोस्टमार्टम लेल भेज देलनि आओर ट्रक व ओहिक  चालक प्रवीण कुमार के कब्जा मे ल' लेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने