सहरसा रेलवे स्टेशन के प्लेटफॉर्म नंबर तीन पर बड़ी रेल लाइन लेल प्लेटफॉर्म केर निर्माण कायल जे रहल अछि। ओतहि सहरसा से थरबिटिया रेलखंड के बीच फिलहाल रेल प्रशासन गढ़बरूआरी स्टेशन तक आमान परिवर्तन काज पूरा करबाक तैयारी मे जुटल अछि। गढ़बरूआरी स्टेशन सँ थरबिटिया स्टेशन के बीच कैको बड़का पुल केर निर्माण होयब बांकी अछि। रेल प्रशासन पहिने गढ़बरूआरी रेलवे स्टेशन तक बड़ी रेल लाइन पर ट्रेन चलेबाक योजना पर काज क' रहल अछि।
सहरसा रेलवे स्टेशन पर बड़ी रेल लाइन निर्माण लेल प्लेटफॉर्म केर निर्माण काज युद्धस्तर पर शुरू भ' गेल अछि। 590 मीटर नमहर आर करीब 16 मीटर चौरस प्लेटफॉर्म केर निर्माण कायल जे रहल अछि। ओतहि ऐहिक अलावा सहरसा कचहरी रेलवे स्टेशन, नंदलाली रेलवे हॉल्ट, पंचगछिया, गढ़बरूआरी स्टेशन पर प्लेटफॉर्म निर्माण काज शुरू भ' गेल अछि।
रेल निर्माण विभाग सँ जुड़ल अधिकारी कहला कि पंचगछिया से नंदलाली दिस रेलपथ पर मैट भरबाक काज पूरा भ' गेल अछि। पंचगछिया से नंदलाली दिस बड़ी रेल लाइन केर पटरी बिछाओल जे रहल अछि। करीब 6 किमी तक बड़ी रेल लाइन के पटरी बिछाओल जे चुकल अछि। ऐहिक अलावा सिग्नल व लाइटस, प्वाइंटस के काज एहो शुरू भ' गेल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।