मैथिल दुलारी 'मैथिली ठाकुर' मिथिलांचलक नाम रौशन केलीह

मुम्बई। 13 फरवरी। संपादकीय [ जितमोहन झा ] मिथिलाक बेटी 'मैथिली ठाकुर' कलर्स टीवी चैनल पर शुरू भेल सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलांचलक नाम रौशन केलीह। मैथिली ठाकुर ‘राइजिंग स्टार’ के पहिले परफॉरमेंस मे धमाकेदार इंट्री संग अप्पन प्रतिभा सँ सभक मोन मोहि लेलिह। राइजिंग स्टार मे मैथिली ठाकुर के शनिवार रातिक शो केर  दौरान पहिल परफॉरमेंस छल। जाहिमे मैथिली ठाकुर अप्पन प्रतिद्वंदि सभके पछाड़ैत 94% वोटिंग के संग नंबर एक पर रहली। 

अपने के बता दी एहि सिंगिंग रियालटी शो ‘राइजिंग स्टार’ के जज मुख्य रूप सँ ऑडियन्स छलाह। जाहिमे लाइव शो केर दौरान कलर्स टीवी के एंड्राइड एप्प सँ ऑनलाइन वोटिंग क' मुख्य आधार मानल गेल छल। मैथिली ठाकुर पहिल राउंड मे बम्पर वोटिंग संग दोसर राउंड मे अप्पन जगह बनेलीह। ई प्रक्रिया आठ राउंड तक चलत, जाहिमे मैथिली के बहुत रास चुनौतिक सामना करे परतैन्ह। समस्त मिथिलांचल वासी के पूर्ण विश्वास छैन्ह कि मैथिली अप्पन प्रतिभाक दम पर ई शो अप्पन नाम करती। 

एक दिस हुनक पहिल राउंड केर सफलता पर जते समस्त मिथिलांचल वासी ख़ुशी सँ झुमैत छल, ओतहि दोसर दिस हुनक एहि सफलता पर किछ मिडिया आर संगठन के बिच सोशल मिडिया पर घमर्थन शुरू भ' गेल। मिडिया बला मैथिलीक सफलता के अप्पन ध्येय कहलैन, तेँ संगठनक लोग मैथिलीक सफलता के संगठन द्वारा चलाओल गेल अभियानक फल। 

 यौ जी महाराज मैथिली ठाकुर क' ई सफलता हुनक लगन, प्रतिभाक बदौलत भेटलैन्ह। मिडिया व संगठन हुनका एहिठाम पहुँचाबै मे जरूर अप्पन योगदान देलैन्ह मुदा, सफलता के क्रेडिट मैथिली ठाकुर के लगनक संगे - संग हर ओय इंसान के जायत अछि जे हुनका प्रोत्साहित करैत हुनका लेल वोटिंग केलैन्ह। 

मैथिली ठाकुर लेल वोटिंग करबा मे पहिल बेर मैथिलवृन्द अप्पन एकता देखेलैन्ह, आर मैथिली ठाकुर के जीत समस्त मिथिलांचलक जीत थीक। ओहियो मे मैथिली एहि जीतक संग पहिल पायदान पर पहुँचल छथि, ताहिलेल हमरा लोकनि के ई प्रयाश करबाक चाही कि हुनका बेसी सँ बेसी प्रोत्साहित करि ताकि ओ आगुओ एहि जंग के सफलता पूर्वक जितैत मिथिलांचलक नाम रौशन करैथ।

3 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

  1. एक बड़ा विचारक बनने की हमेशा कोशिश करते रहना चाहिए और ये तभी संभव हो सकता जब अपने-आप में अधिक सुनने और कम बोलने की आदत डाली जाय? साथ ही, अपना ध्यान भी केंद्रित रखना होगा। अपने-आप में अच्छाईयों को बनाये रखने और बुराईयों को बाहर फेकने की क्षमता बनानी होगी? व्यवहारतः हर किसी को आशीर्वाद देने एवं सर्वोच्च आध्यात्मिक पथ पर चलने वालों को बचाये रखने की धारणा होनी चाहिये। अपनी उच्च दक्षता और अनुकूल क्षमता को बरकरार रखना ही होगा। जो शायद आपकी साधना का पुरस्कार साबित हो सकता है। ज़िन्दगी में अच्छा और बुरा सभी को शांतिपूर्ण तरीके से पचाने का प्रयास भी करना होगा। आपकी इक्षा जबतक नियंत्रण में रहेगी, सच जानिये- कभी तबाही का कारण नहीं बन सकता? आपके इक्षा की सवारी को अपने नियंत्रण में रखने से आप कभी भी धोखा नहीं खा सकते। आपके इन छोटे-मोटे प्रयासों से -(हो सकता है)- पूरी दुनियाँ आपके तलबे चाटेगी और आपकी महत्ता भी बनी रह सकती है -(तथास्तु)-

    जवाब देंहटाएं

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने