नवी मुंबई मैथिल समाज द्वारा आयोजित 'विद्यापति पर्व समारोह' ऐतिहासिक रहल

मुम्बई। 10  जनवरी। [अमोल चौधरी] नवी मुंबई मैथिल समाज द्वारा दिनांक 8 जनवरी 2017 के पनवेल(नवी मुम्बई) में आयोजित विद्यापति पर्व समारोह एवं रंगारंग कार्यक्रम मे संपूर्ण सुच्चा मैथिल टीम के आमंत्रण छल ताहि मे राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री राम नरेश शर्मा जी के संग मे मिथिला के उभरैत सिंगर आ सुच्चा मैथिल के कार्यकारिणी सदस्य लवकिशन जी सेहो उपस्थित छलाह। मैथिलीक लोकप्रिय गायक माधव राय, रामबाबू झा आ लवकिशन जी अप्पन गीत संगीत सँ श्रोतागण के खूब आह्लादित केलाह। 

सुच्चा मैथिल के महाराष्ट्र इकाई के सब युवा कार्यकर्त्ता संग राष्ट्रिय अध्यक्ष श्री रामनरेश शर्मा सेहो छलाह, नवी मुंबई मैथिल समाज के अध्यक्ष श्री रवि मंडल आ नगरसेवक श्रीमती पुतुल झा द्वारा हुनका पुष्प गुच्छ आ सम्मान चिन्ह द सम्मानित सेहो कयल गेलैन । रवि जी के दिल सँ आभार जे सम्पूर्ण सुच्चा मैथिल टीम के मंच पर आबै लेल उद्घोषणा केलाह मुदा समयाभाव के कारण संभव नही भ सकल ।

संगहि मंच सँ सुच्चा मैथिल अधिकारी के मुँह सँ दू शब्द हम युवा सब सुनै चाहै छलहुँ मुदा से नहि भ सकल । नाट्यकर्मी आ सिंगर सुच्चा मैथिल परमानन्द शर्मा जी सँ एकटा चाहटगर गीत सेहो सुनै के मोन छल मुदा ई अभिलाषा समयाभाव के काण अधूरा रहि गेल ।

सुच्चा मैथिल के युवा सब जोश आ उमंग सँ भरल छैथ आगुओ मैया जानकी, महाकवि विद्यापति सहित वीर लोरीक, राजा सलहेस, दीना-भद्री, बहुरा गोरिन, दयाल बाबा, लक्ष्मीनाथ गोसाईं, शहीद रामफल मण्डल आदि महापुरुख लेल आयोजित होय बला कार्यक्रम के सहयोग आ समर्थन करैत रहत ।

कार्यक्रम स्थल पर सुच्चा मैथिल रामबाबू ठाकुर जी आ भोला मण्डल जी के भेट कय बहुत नीक लागल । हुनका दुनु गोटे के भेट भेला सँ युवा कार्यकर्त्ता सब क़े समाज सेवा लेल आरो ऊर्जा भेटलैन ।

रात्रि दस बजे कार्यक्रम समापन समय सुच्चा मैथिल रवि मण्डल जी के आभार प्रकट करैत आ अमर शहीद रामफल मंडल जी सँ मोने-मोन आशीर्वाद लैत ओतय सँ हमसब विदा भेलहुँ। 

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने