पटना। 10 जनवरी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैल्ह सोम दिन कहलनि कि बिहार के किछ काबिल लोग राज्य के छवि खराब करबा मे लागल छैथ। ओ इयो कहला कि गुरु गोविंद सिंह केर प्रकाशोत्सव के सफल आयोजन लेल तारीफ तेँ भेटल, लेकिन एहिमे केंद्र सरकार सँ कुनू मदैद नहि भेटल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ‘लोक संवाद कार्यक्रम’ के बाद संवाददाता सभसे बातचीत मे कहला कि बिहार के बाहर बिहारे के किछ काबिल लोग सभ बिहारक छवि खराब के रहल छैथ। बाहर के लोग बिहार प्रकाशोत्सव मे अएला आर मानीके गेला कि बिहारक छवि बहुत बढियां अछि।
प्रकाशोत्सव केर मुख्य समारोह मे आरजेडी अध्यक्ष लालू प्रसाद क' मंच पर स्थान नहि देल गेल बला मुद्दा पर नीतीश कुमार कहला कि के कता बैसता, ई फैसला तख्त हरमंदिर साहिब केर समिति केना छल। गुरुद्वार मे कियो कुर्सी पर नहि बैसैत छैथ, सब जमीन पर बैसैत छैथ। आगा ओ कहला कि बिहार आब दोसर राह पर चैल देना अछि, ओ विकास के राह अछि। ओहेन लोग सभ सुधैर जायथ जे अपनहि राज्य केर छवि खराब बतेबा मे लागल रहैत छैथ। प्रकाश पर्व पर भेटल वाहवाही बिहारे के किछ लोग सभके नीक नहि लैग रहल छैन्ह। एहि कारण ओ इस कारण ओ कमि निकैल रहल छैथ।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।