गायब जेएनयू छात्र नजीब केर रिहाई लेल निकलल शांति मार्च

सहरसा। 09 जनवरी। देश के प्रसिद्ध जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय से गत 14 अक्टूबर 2016 से गायब छात्र नजीब अहमद के समर्थन मे जेएनयू के छात्र अबूल फराह केर नेतृत्व मे आय सोमवार दिन सिमरीबख्तियारपुर के रानीहाट से छात्र सभ शांति मार्च निकाललन्हि। मार्च रानीहाट रेलवे ढ़ाला होयत रेलवे स्टेशन होयत मुख्य बाजार होयत  अनुमंडल कार्यालय पहुँचल जते नुक्कड़ सभा मे तब्दील भ' गेल।

नुक्कड़ सभा क' संबोधित करैत जेएनयू के छात्र अबूल फराह कहलनि कि विगत तीन माह से जेएनयू के छात्र मो. नजीब अहमद गायब छैथ। जिनका खोजबा मे केन्द्र सरकार असफल साबित भ' रहल अछि। आगा ओ कहला कि केन्द्र केर मोदी सरकार विकास केर नाम पर वोट ल' जातिवाद केर राजनीति क' रहल अछि। 14 अक्टूबर 2016 क' एबीबीपी के छात्र सभक संग मो. नजीब के माईरपीट भेल छल आर तहिये से ओ लापता छैथ।

अबूल फराह कहलनि कि ई सरकार गाय क' माता बुझैत अछि मुदा ओतहि एक माता अप्पन बेटा केर लेल दर-दर के ठोकर खा रहल छथि। दिल्ली पुलिस केन्द्र सरकार के इशारा पर किछ भी कार्रवाई करबा से परहेज क' रहल अछि। जखनकि नजीब क' तीन-चारि बेर अगल-अगल स्थान पर असामाजिक तत्व सभ  द्वारा मारल पीटल गेल आर अगले दिन कैम्पस से गायब क' देल गेल अछि। आब एक माता केर आवाज क' केन्द्र सरकार बेसी देर धरी दबा नहि राखी सकैत अछि। जाधरि ओ भेटता नहि छात्र सभ चुप नहि बैसत। बाद मे छात्र सभक एक शिष्टमंडल एसडीओ क' ज्ञापन सौपलन्हि। जाहिमे  एहि मामला केर निष्पक्षता से सुप्रीम कोर्ट के मुख्य न्यायाधीश सँ जांच करेबाक मांग कायल गेल अछि। 

शांति मार्च मे मो. फारूख आजम, मो. मसीर, मो. तोकीर, मो. इब्राहीम, चांद मंजर इमाम, मो. समर, मो. ओवेश आलम, मो. जाहिद, मो. सफी, मो. साहिद, मेंहदी हसन, अबू बसर, जावेद अख्तर सहित बहुत रास स्थानीय लोग मौजूद छलाह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ