औरंगाबाद मे ट्रेनक चपेट मे अएला से तीन लोगक मौत

औरंगाबाद। 06 जनवरी। औरंगाबाद मे एक बड़का हादसा भेल, जते ट्रेन के चपेट मे अएला से तीन लोगक मौत भ' गेल अछि।घटना जाखिम आर बघोई स्टेशन के बीच घटल अछि।जानकारी केर मुताबिक गया - मुगलसराय रेलखंड पर स्थित जाखिम स्टेशन लग ट्रेन के चपेट मे अएला से तीन मजदूर केर मौत भ' गेल अछि। 

उक्त मजदूर पलामू एक्सप्रेस से जाखिम स्टेशन पर उतरल छलाह आर अमरपुरा गांव मे धान केर दवनी करे जायत छलाह। सूचना भेटलाक बाद सोननगर रेलवे पुलिस मौक़ा पर पहुंच गेल अछि। 

मृतक मे कामेश्वर सिंह निवासी हरेय, विक्रम राम, किरण सिंह दुनु चपरी टोला थाना लंका के निवासी छलाह, जे जिला गढ़वा झारखंड के रहिवासी छलाह। एक मजदूर अयोध्या सिंह निवासी चपरी टोला जख्मी बताओल जे रहल अछि जिनकर इलाज कायल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने