
सुपौल। 06 जनवरी। सरायगढ़ - भपटियाही प्रखंड के गरीब परिवारक बेटी सभके मुफ्त मे शिक्षा दियेबाक लेल सरकार द्वारा स्थापित कस्तूरबा विद्यालय पिछला किछ माह से अपने मूल उद्देश्य से भटकैत देखार द' रहल अछि। मध्य विद्यालय सरायगढ़ लग स्थापित कस्तूरबा विद्यालय मे कम से कम 100 गरीब परिवार के बेटी सभक नामांकन करि हुनका छठी से आठवीं कक्षा तक केर शिक्षा देबाक अछि।
एहेन छात्रा के भोजन आवास सहित आन सभ सुविधा के लेल सरकार के कोष से भारी भरकम राशि खर्च कायल जायत अछि। मुदा ओहिक लाभ गरीब परिवार के बेटी के नहि भेट रहल अछि। कस्तूरबा विद्यालय जखन मुआयना कायल गेल तेँ दिन के 11:00 बजे विद्यालय प्रांगण मे वार्डेन मीना कुमारी आर सहायक शिक्षिका सरोज कुमारी भेटलि।वार्डन कहली कि कस्तूरबा विद्यालय मे 100 छात्र केर नामांकन होबाक अछि। लेकिन फिलहाल रजिस्टर पर 78 छात्रा केर नाम लिखल अछि। वर्तमान मे 30 से 35 छात्र मात्र विद्यालय मे रहिके पढ़ाई करैत अछि। हुनका से जखन पुच्छल गेल कि 78 के बदला 30 से 35 छात्रा रहैत छथि तेँ बाकी छात्रा केर हाजिरी कोना बनैत अछि। एहि पर वार्डेन चुप भ' गेली। आगा पुछला पर बताओल गेल कि कस्तूरबा विद्यालय क' रास्ता पर आनबाक प्रयास जारी अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।