न्यायालय भादवि धारा 302 व 120बी केर अन्तर्गत पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन पर आरोप गठन केलन्हि अछि। जाहि कारण आब शहाबुद्दीन केर मुसीबत बढ़ैत नजर आइब रहल अछि। दरअसल, एहि मामला मे शहाबुद्दीन क' पटना हाईकोर्ट से जमानत भेट गेल छल। मुदा बाद मे सुप्रीम कोर्ट जमानत रद्द क' देलन्हि। ओहिके बाद से शहाबुद्दीन केर खिलाफ सभ मामला मे फेरसँ ट्रायल शुरू भेल अछि।
गौरतलब अछि कि तेजाब काण्ड मे 2 सहोदर भाई क' तेजाब से नहा हत्या क' देल गेल छल। एहि मामला मे शहाबुद्दीन मुख्य आरोपी छैथ। ओहिक बाद कांड के गवाह के सेहो हत्या भ' गेल छल। एहि मामला मे पूर्व सांसद शहाबुद्दीन पर आरोप गठन कायल गेल अछि। ओतहि, सीवान जेल म' बनल स्पेशल कोर्ट मे राजीव रौशन हत्या मामला मे आरोप गठन के बाद 19 जनवरी क' अगला सुनवाई होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।