पत्रकार हत्याकांड केर विरोध मे भाकपा के चक्काजाम

दरभंगा। 04 जनवरी। अररिया के भरगामा प्रखंड अंतर्गत मुसहरी मे माले जिला सचिव सत्यनारायण सिंह यादव, खेग्रामस के राज्य परिषद सदस्य कमलेश्वरी ऋषिदेव को अगवा करि जघन्य हत्या आर कैल्ह समस्तीपुर मे भेल पत्रकार ब्रजकिशोर ब्रजेश की हत्या के खिलाफ आय बुधवार दिन जिला मे राज्यव्यापी चक्का जाम के तहत शहर के लहेरियासराय पोलो मैदान से भाकपा-माले दिस से प्रतिवाद मार्च निकालल गेल। 

एहिमे जिला सचिव बैद्यनाथ यादव, माले राज्य कमिटी सदस्य अभिषेक कुमार, जिला कमिटी के वरिष्ठ सदस्य आरके सहनी, लक्ष्मी पासवान,इंसाफ मंच के नेयाज अहमद, सादिक भारती,प्रो कल्याण भारती,देवेन्द्र कुमार, एक्टू के रामनारयण पासवान, ऐपवा केर शनिचरी देवी, रानी शर्मा, प्रिन्स कुमार कर्ण, रंजीत राम व अभकिसान महासभा के प्रवीण यादव मुख्य रूप से मार्च केर नेतृत्व केलन्हि।  

जता प्रतिवाद मार्च मे अररिया हत्याकांड के जिम्मेवार हत्यारा सभक  गिरफ्तारी व भरगामा थानाध्यक्ष क' बर्खास्त करबाक, भूमि सुधार आयोग केर सिफारिश क' लागू करबाक मांग प्रतिवाद सभा केर अध्यक्षता करैत सदीक भारती केलन्हि। ओतहि माले जिला सचिव बैद्यनाथ यादव कहलनि कि सामाजिक न्याय केर नीतीश - लालू के राज मे लगातार दलित - गरीब - अल्पसंख्यक सभक हत्या भ' रहल अछि। जाहिक लेल बिहार सरकार जिम्मेवार अछि।  मार्च मे आइसा के संदीप चौधरी, इनौस गजेन्द्र शर्मा, शनिचरी देवी, उमेश साह, हीरा पासवान, हरि पासवान, सावित्री देवी आदि मौजूद छला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने