कुलपति केर बर्खास्तगी लेल संयुक्त छात्र संगठन के एक दिवसीय उपवास

दरभंगा। 04 जनवरी।  दरभंगा टावर के गांधी प्रतिमा केर प्रांगण मे संयुक्त छात्र संगठन दिस से एक दिवसीय उपवास कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल। जता उपवास पर बैसल दर्जनों लोग सभ आरोप लगबैत कहलनि कि लतित नारायण मिथिला विवि के वीसी प्रो. साकेत कुशवाहा भ्रष्टाचारी व असमाजिक लोग सभ क' विवि मे संगरक्षण देबाक काज करैत छैथ। 

संगहि संयुक्त छात्र संगठन के दर्जनों उपवास पर बैसल सदस्य सभ कहलनि कि विवि मे बहुतो रास भ्रष्टाचार केर मामला उजागर भेल अछि।    ऐहिक बावजूद महामहिम केर नजर उक्त भ्रष्टाचार पर नहि पैर रहल छैन्ह। उपवास में मिथिला स्टूडेंट यूनियन, इंसाफ मंच, एनएसयूआई, जनअधिकार छात्र परिषद सहित आन छात्र संगठन के सदस्य सभ भाग लेलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ