बताओल जे रहल अछि कि महिला के संग हुनकर बच्चा सेहो छलैन्ह आर ओ पुरनका नोट बदलबाक बेर - बेर अनुरोध क' रहल छली मुदा इमारत के बाहर ठाढ़ गार्ड हुनका वापस क' देलन्हि जाहिसे ओ काने लागली। ओ ऐहिक विरोध मे आरबीआई के प्रवेश द्वार लग धरना पर बैस रहली।
जखन गार्ड सभ हुनका जबरन प्रवेश द्वार से हटेबाक कोशिश केलन्हि तेँ तामस मे ओ अप्पन कपड़ा उतैर देलीह जाहिसे आसपासक लोग आर सुरक्षा कर्मी हक्का-बक्का रही गेला।
बाद मे आरबीआई के गार्ड सभ पुलिस क' सूचना देलन्हि आर महिला क' बच्चा संग थाना ल' गेल गेलन्हि आर एहितरहे हाईप्रोफाइल इमारत पर ई नाटक खत्म भेल। आरबीआई के ई कार्यालय संसद भवन से किछ डेग के दुरी पर अछि।
नोट बदलबाक लेल ऑयल किछ सेवानिवृत्त बुजुर्ग व्यक्ति सहित आन लोग सभ कहला कि प्रधानमंत्री 8 नवम्बर क' अप्पन संबोधन मे वादा केना छला कि पुरनका नोट क' 31 मार्च तक आरबीआई केर चुनिंदा दफ्तर मे बदलबाओल जे सकैत अछि, सरकार क' एहीसे पाछा नहि हटबाक चाहि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।