आसाराम बापू केर जमानत याचिका खारिज, सुप्रीम कोर्ट लगेलैन्ह जुर्माना

नई दिल्ली। 30 जनवरी। दुष्कर्म के दुई मामला मे आरोपी आसाराम बापू के जमानत याचिका क' सुप्रीम कोर्ट खारिज क' देलन्हि। नाबालिग से दुष्कर्म केर आरोप मे जेल मे बंद आसाराम केर याचिकाक सुनवाई करैत कोर्ट कहलनि कि मेडिकल रिपोर्ट से साफ अछि कि आसाराम केर मेडिकल हालत ठीक अछि आर एहि आधार पर हुनका जमानत नहि भेट सकैछ।

फुइस फटक के मेडिकल रिपोर्ट जमा करबाक कारण सुप्रीम कोर्ट आसाराम बापू पर 1 लाख टाका केर जुर्माना आ FIR करबाक आदेश सेहो देलन्हि अछि। कोर्ट एहि मामला मे आसाराम केर माफी क' सेहो खारिज क' देलन्हि। कोर्ट कहलनि कि आसाराम खुदे बिना कुनु कारण बतेने MRI करेबा से इनकार क' देने छल। सरकार सेहो आसाराम केर जमानतक विरोध केलन्हि अछि। अपने के बता दी कि एहीसे पहिने राजस्थान सरकार सुप्रीम कोर्ट क' बतेना छल कि आसाराम के वकील सभ जमानत मामला मे जेल सुपरिंटेंडेट क' फर्जी पत्र देना अछि। जाहिक अनुसार  आसाराम केर हालत खराब होयबाक बात बताओल गेल छल। सुप्रीम कोर्ट आसाराम पर एम्स के बोर्ड से 10 दिन मे जांच रिपोर्ट मांगने छल आर जाहिके अस्पताल दाखिल क' देना छल। आसाराम क' जोधपुर पुलिस 31 अगस्त 2013 मे गिरफ्तार केना छल आर तखने से ओ जेल म' छैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने