शहर के दर्जनों ATM मे टाका खत्म, लोग परेशान

दरभंगा। 30 जनवरी। नोटबंदी के बाद एक दिस जते पूरा देशक बैंक सभमे  लागै बला नमहर कतार देखबाक लेल भेटैत छल। ओहिसे लोगके भलहिं निजाद भेट गेल अछि। मुदा एखनहुँ बैंक सभक एटीएम मे टाका केर कमी  व दुइ हजारक नोट केर बेसी निकासी ल' परेशानी देखल जे सकैछ। 

एक दिस जते बिहार एसएससी के परीक्षाक लेल सैकड़ों छात्र सभक शहर मे जमावड़ा लागल छल। एहि स्थिति मे सैकड़ों किलोमीटर दूर से आयल छात्र सभके  एटीएम से टाका केर निकासी नहि होयत छल। अपने बुझी सकैत छी हुनका सभक ऊपर की बितैत हेतैन्ह।  स्थिति एहेन अछि कि शहर के कीलाघाट, करमगंज, इस्माईलगंज, लाईट हाउस, जीएनगंज, बलभद्रपुर वीआईपी रोड, अल्लपट्टी रोड सहित दर्जनों एटीएम में टाका खत्म बताओल जे रहल अछि। 

जाहिसे लोगके बहुत परेशानि के सामना करे पैर रहल छैन्ह। कैको जरुरी काज लोगक नहि भ' रहल छैन्ह। ओतहि एसएससी परीक्षा देबा आयल  राहुल कुमार,पवन कुमार, विवेक सिंह कहला कि परीक्षा देबाक लेल एक दिन पहिने घर से आयल छलहुँ, मुदा बैंक सभक एटीएम से टाका नहि निकैल रहल अछि जहिसे बहुत परेशानी भ' रहल अछि। खाय - पीबैक सामान सेहो नहि किन पाबैत छी।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने