सहरसा स्टेशन पर नवा प्लेटफार्म केर निर्माण काज शुरू, ट्रेन सुविधा के होयत विस्तार

सहरसा। 07 जनवरी। सहरसा थरबिटिया के बीच आमान परिवर्तन काज चैल रहल अछि। छोटी रेल लाईन केर पटरी उखारलाक बाद माटी भरबाक काज शुरू भ' गेल अछि। माटी भरबाक काज पूरा भेलाक बाद पटरी बिछेबाक काज शुरू कायल जायत। ओतहि सहरसा जंक्शन केर पुरनका छोटी लाईन लग तीन नव प्लेटफार्म केर निर्माण काज चैल रहल अछि।  

ओना तेँ सहरसा - थरबिटिया के बीच आमान परिवर्तन काज  एक बरख मे  पूरा करबाक बात कहल जे रहल अछि, लेकिन जाहि प्रकारे निर्माण काज चैल रहल अछि ओकरा देखैत बुझा रहल अछि कि आमान परिवर्तन मे कम से कम 2 बरख लागत। ओतहि आय शनिवार दिनसे पंचगछिया स्टेशन से बड़ी रेल लाईन केर पटरी बिछेबाक काज शुरू कायल गेल अछि।  एहि लाइन केर उपयोग आमान परिवर्तन के लेल निर्माण सामग्री आनबाक ल' जेबाक लेल कायल जायत। वर्तमान समय मे सहरसा के रेल यात्रि संभाल लेल ट्रेन सेवा केर सुविधा बहुत कम अछि लेकिन उम्मीद कायल जे रहल अछि कि आमान परिवर्तन के बाद ऐता के लोग सभक लेल ट्रेन सुविधा मे विस्तार कायल जायत।

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

और नया पुराने