ई फेस्टिवल 6-8 मार्च तक निफ्ट केर प्रांगण मे आयोजित होयत। जेंडर रिसोर्स सेंटर के प्रधान कहला कि एहि फेस्टिवल को' सफल बनेबाक लेल एक एडवाइजरी कमिटी सेहो बनाओल जेल अछि, जाहिक अध्यक्ष महिला विकास निगम केर एमडी एन विजया लक्ष्मी क' बनाओल गेल अछि। पद्मश्री उषा किरण ख़ाँ आर अर्थशास्त्रि डॅाक्टर शैवाल गुप्ता क' सदस्य नामित कायल गेल अछि।
समारोह मे फिल्म जगत के अलावा नृत्य आर साहित्य क्षेत्र के लोग सेहो हिस्सा लेता। साहित्य केर क्षेत्र मे महिला सभक पहुंच आर हुनका सामना आबै बला समस्या सभ पर विस्तृत रूपसे चर्चा कायल जायत। फेस्टिवल लेल स्वरा भास्कर, शबाना आज़मी, टि्ंवकल खन्ना जेहेन बड़का हस्ति सभके आमंत्रित कायल गेल अछि। महिला विकास निगम आर जेंडर रिसोर्स सेंटर द्वारा फेस्टिवल के सफल आयोजन के पूरा तैयारी क' लेल गेल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।