जनता दल (युनाइटेड) नेता मुकेश सिंह केर गोली मारी हत्या

पटना। 09 जनवरी। पटना जिला के बाढ़ क्षेत्र मे कैल्ह रविवार भोर अज्ञात अपराधि सभ राज्य मे सत्ताधारी जनता दल (युनाइटेड) के एक नेता केर गोली मारी हत्या क' देलन्हि। पुलिस केर मुताबिक़, भावनचक गाम निवासी जेडी(यू) नेता मुकेश कुमार सिंह भोर अप्पन मोटरसाइकिल से कतहुँ जायत छला। तखने बाढ़ थाना क्षेत्र के ढेलवा गोसाईं मोहल्ला लग  अपराधि सभ हुनका गोली से छलनी क' देलन्हि। 

गोली लगला से घटनास्थले पर हुनकर मौत भ' गेलन्हि। मुकेश कुमार सिंह जद (यू) के जिला महासचिव छलाह आर प्राथमिक कृषि साख संस्था (पैक्स) के अध्यक्ष सेहो छलाह। ओ मंत्री ललन सिंह केर करीबी मानल जायत छलाह। हत्या केर कारणक फिलहाल कुनु पता नहि चलल अछि, मुदा ऐहिक पाछा इलाका मे राजनीतिक वर्चस्व केर लड़ाई के आशंका जिताओल जे रहल अछि। हत्या के बाद से इलाके मे तनाव व्याप्त अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने