आब ATM से हरेक दिन निकैल सकैत छी 10,000 टाका

नई दिल्ली। 17 जनवरी। नोटबंदी के बाद नगदी केर समस्या से परेसान आम जनता क' बड़का राहत दैत आरबीआई ATM से दैनिक निकासी केर सीमा क' बढ़ा 10,000 टाका क' देलन्हि अछि। नोटबंदी के दुई मास बाद भारतीय रिजर्व बैंक कैल्ह सोमवार दिन आम आदमी क' बड़का राहत दैत ई फैसला लेलन्हि अछि। आब ATM से कुनु भी खाताधारक एक दिन मे 10,000 टाका तक निकैल सकैत छैथ। पहिने ई सीमा 4,500 टाका छल। ओतहि व्यापारि सभके सेहो राहत दैत आरबीआई  करंट अकाउंट से निकासी केर सीमा बढ़ा 1 लाख टाका क' देलन्हि अछि। अपने के बता दी कि 8 नवंबर क' नोटबंदी के फैसला के बाद एटीएम आर बैंक से नगदी निकालबा पर लिमिट लगा देल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने