भारी मात्रा मे अधजरा रुपे कार्ड व एटीएम कार्ड पाओल गेला से सनसनी

मधुबनी। 16 जनवरी। स्थानीय भारतीय स्टेट बैंक शाखा केर छत पर भरी मात्रा मे अधजरा  रुपे कार्ड व एटीएम कार्ड पाओल गेला से क्षेत्र मे सनसनी पसैर गेल अछि। एहिमे बेसी कार्ड प्रधानमंत्री जनधन योजना के खाता से जुडल बताओल जे रहल अछि। ई खबर जंगल मे आगिक जोका सगरे पसैर गेल।  

एहि संबंध मे शाखा प्रबंधक अमित कुमार कहला कि उक्त सभ कार्ड पहिने  खाताधारि सभक पता पर भेजल गेल छल। मुदा कउनु कारणवश वापस भ' गेल छल। मुख्यालय से पुन: ई सभ कार्ड शाखा क' भेजल गेल। जता से  तीन माह के भीतर खाताधारी ल' जे सकैत छला।उक्त अवधि समाप्त भ' जेबाक बाद बैंक सभ कार्ड के ज़रा के नष्ट क' देलन्हि।

अपने के बता दी कि सभ जरल कार्ड के अवधि 1-16 से 1-21 आर 8-16 से 7-21 तक छल। ऐता ई प्रश्न उठब वाजिब अछि कि आखिर एतेक भारी संख्या मे कार्ड खाताधारक सभके किएक नहि पहुँचल? सभक पता गलत छल ? या फेर सभ गाम मे नहि छल ? ई जांचक विषय भ' सकैत अछि।  अगर एतेक खाताधारक सभके रुपे कार्ड ससमय नहि भेटैत अछि तेँ सरकार के कैशलेस मुहिम पर ई एक जोरदार थापड़ कहल जे सकैत अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने