प्रधानाध्यापक आर तीन शिक्षक पर किशोरी संग सामूहिक दुष्कर्मक आरोप

जहानाबाद। 17 जनवरी। जहानाबाद जिला के काको राजकीय मध्य विद्यालय मे 12 साल के एक किशोरी संग स्कूल के प्रधानाध्यापक आर तीन आन शिक्षक सभ द्वारा कथित तौर पर सामूहिक दुष्कर्म करबाक मामला सामना आयल अछि। 

जहानाबाद अनुमंडल पुलिस अधिकारी पीके श्रीवास्तव कैल्ह सोमवार दिन  कहला कि रविवार दिन भेल एहि घटना लेल पीड़ित छात्रा के माई स्कूल के प्रधानाध्यापक अज्जु अहमद व शिक्षक अतुल रहमान, अब्दुल बारी आर मोहम्मद शौकत केर खिलाफ काको थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलन्हि अछि। 

पुलिस मामला के छानबीन क' रहल अछि आर आरोपि सभक गिरफ्तारी लेल छापामारी जारी अछि। मानसिक रूप से विक्षिप्त बताओल जे रहल  उक्त किशोरी केर माई सेहो काको मध्य विद्यालय मे शिक्षिका केर पद पर कार्यरत छथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने