आइसीआइसीआइ बैंक कालीबाड़ी भट्टा बाजार शाखा के सफाई कर्मी विक्की मल्लिक के बैंक खाता से 15 करोड़ टाका के लेनदेन भेलन्हि अछि। ई मामला प्रकाश मे तखन आयल जखन वित्तीय वर्ष 2012-13 एवं 2013-14 मे करोड़ों के लेनदेन करबाक लेल आयकर विभाग खाताधारक सफाई कर्मी मल्लिक क' नोटिस भेजलन्हि।
खाताधारक मल्लिक केर कहब छैन्ह कि नोटिस देख ओ दंग रही गेला कि हुंकार 2 बैंक खाता बैंक मे अछि आर एक खाता मे करोड़ों के लेनदेन कायल गेल अछि। पूर्णिया के सहवान टोला विकास बाजार निवासी विक्की मल्लिक एहि बैंक मे 2012 मे सफाई कर्मी के पद पर काज शुरू कएलन्हि। जाहिक एवज मे हुनका बैंक द्वारा 5500 टाका मानदेय देल जायत अछि।
एहि बैंक मे विक्की मल्लिक एक बैंक खाता 071201502794 खुजेलन्हि लेकिन ऐहिक बाद फेर बैंक मे दोसर बैंक खाता संख्या 071208500457 खोलल गेल। ई दोसर बैंक खाता 26 मार्च 2012 दिन खोलल गेल आर फेर एहि खाता मे करोड़ों के लेनदेन भेल। एहि खाता मे 10 दिसम्बर 2012 दिन 4 करोड़, 16 जनवरी 2013 दिन 9. 85 लाख, 17 जनवरी दिन 18 लाख आर 21 फरवरी 2013 दिन 40 लाख टाका जमा कराओल गेल छल।
ऐहिक अलावा एहि खाता से कैको बेर मोट रकम केर निकासी सेहो कायल गेल छल। एहि खाता मे बैंक ड्राफ्ट एवं आरटीजीएस केर माध्यम से सेहो कैको बेर बड़का रकम भेजल गेल छल। ओतहिविक्की कहला कि ओ एक खाता छोइर, दोसरखाता नहि खुजेलन्हि अछि। पुलिस अप्पन स्तर से ऐहि मामला के जांच शुरू क' देलन्हि अछि। ओतहि बैंक प्रबंधक एहि मामला मे किछ भी बतेबाक लेल राजी नहि भेला।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।