मानव श्रृंखला शुरू होमै से पहिने एक छात्रा के ट्रकक चपेट मे अएला से मौत

वैशाली। 21 जनवरी। बिहार सरकार के महत्वाकांक्षी मानव श्रृंखला बनै से पहिने सड़क दुर्घटना मे एक मासूम छात्रा केर मौत भ' गेलन्हि। घटना जंदाहा थाना क्षेत्र मे एनएच 103 पर कुशवाहा चौक पर घटल अछि। नौंवी कक्षा मे पढाई बाली छात्रा दिब्या कुमारी भोर मे अप्पन घर से कोचिंग जायत छली ओहि समय एक अनियंत्रित ट्रकक चपेट मे अएला से हुनकर मौत भ' गेलन्हि। 

जाबे मे स्थानीय लोग घटनास्थल पर पहुंचल ट्रक ड्राइवर गाड़ी छोईड़ फरार भ' गेला। जाहिक बाद आक्रोशित लोग सभ एनएच क' जाम करि उग्र प्रदर्शन केलन्हि। 

ओतहि, मुआवजा लोग सभ प्रदर्शन क' रहल अछि। एनएच पर गाड़ि सभक बड़का नमहर कतार लैग गेल अछि। मौका पर पुलिस पहुँच लोग सभके समझेबा बुझेबा मे लागल अछि। ऐना मे 12 बजे से बनै बला मानव श्रृंखला मे रुकावट आइब सकैत अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने