ऐतिहासिक क्षणक गवाह बनबाक लेल गांधी मैदान तैयार

पटना। 21 जनवरी। शराबबंदी के पक्ष मे आय बिहार मे विश्व के सबसे नमहर मानव श्रृंखला बनबाक पूरा तैयारी भ' गेल अछि। आब से किछ देर बाद 12:15 बजे से मानव श्रृंखला आयोजन शुरू होयत। राजधानी पटना के गांधी मैदान मे मानव श्रृंखला लेल लोग सभ पहुँचब शुरू क' देना अछि।  

गांधी मैदान मे करीब 5500 प्रतिभागी शामिल भ' रहल अछि। मानव श्रृंखला मे शामिल होयबाक लेल पटना के विभिन्न इलाका से आंगनवाड़ी सेविका, सहायिका, आशा कार्यकर्त्ता, समेत आन लोग गांधी मैदान पहुँच चुकल छैथ। गांधी मैदान मे बिहारक नक्शा बनाओल गेल अछि। एहि पूरा दृश्य के कैद करबाक लेल किछ देर मे इसरो के सैटेलाइट सेहो गांधी मैदान के ऊपर से गुजरत। 




Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने