राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी 4 लोगक फांसी के सजा क' माफ कएलन्हि

नई दिल्ली। 23 जनवरी। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी केंद्रीय गृह मंत्रालय के सुझाव क' दरकिनार करैत 4 लोगक फांसी के सजा क' आजीवन कारावास मे बदैल देलन्हि जे बिहार मे 1992 मे अगड़ी जातिक 34 लोगक हत्या के मामले मे दोषी छला। 

राष्ट्रपति नववर्ष पर कृष्णा मोची, नन्हे लाल मोची, वीर कुंवर पासवान आर धर्मेन्द्र सिंह उर्फ धारू सिंह केर फांसीक सजा क' आजीवन कारावास के सजा मे तब्दील केलन्हि अछि। 

गृह मंत्रालय बिहार सरकार केर अनुशंसा पर आठ अगस्त 2016 क' चारों केर दया याचिका क' खारिज करबाक अनुशंसा केना छल। 

बहरहाल राष्ट्रपति मामला के विभिन्न तथ्य पर विचार केलन्हि, जाहिमे राज्य सरकार द्वारा चारों दोषि सभक याचिका क' सौंपबा में देरी करब आर राष्ट्रीय मानवाधिकार आयोग केर विचार शामिल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने