आंध्रप्रदेश ट्रेन हादसा मे एकहि परिवारक 5 लोगक मौत, बेगूसराय मे मातम

बेगूसराय। 23 जनवरी। शनिवार देर राति आंध्रप्रदेश मे भेल ट्रेन हादसा मे जिला के मिर्जापुर गामक एकहि परिवारक 5 लोगक मौत भ' गेलन्हि। ओतहि गामक 6 लोग गंभीर रूप से घायल बताओल जे रहल अछि। जानकारी के मुताबिक एखनो 3 लोग लापता अछि। 

अपने के बता दी कि जगदलपुर से भुवनेश्वर जा रहल हीराखंड एक्सप्रेस ट्रेन कुनेरु स्टेशन पर दुर्घटनाग्रस्त भ' जेबाक कारण ई परिवार हादसा के शिकार भेल छल।

जानकारी केर मुताबिक सभ मृतक मधुमक्खी पालन व्यवसाय सँ जुडल छल आर एहि ट्रेन से बेगूसराय आबैत छल। पुलिस के मुताबिक एहि ट्रेन मे एकहि परिवार के 14 से 15 लोग यात्रा क' रहल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने