दरभंगा ब्रेकिंग न्यूज़ : आभूषण के दोकान मे लाखो के चोरी, प्रशासन के गाड़ी से रिक्शा के टक्कर



दरभंगा। 23 जनवरी। एखन एखन दरभंगा से दुइ गोट बड़का खबैर प्राप्त भेल अछि.

(१) - ललित नरायण मिथिला विश्विद्यालय थाना के कादिराबाद चौक पर स्थित आभूषण के दोकान मे लाखो के चोरी भेल अछि। पुलिस घटना स्थल पर पहुंच छानबीन क' रहल अछि।

(२) - लहेरियासराय बेता  चौक लग प्रशासन के गाड़ी से रिक्शा के टक्कर भेल।  रिक्शा चालक गंभीर रूप से घायल बताओल जे रहल अछि। स्थानीय लोग सभ आक्रोशित भ' VIP रोड। मुख्य सड़क के जाम क' देलन्हि अछि। घायल रिक्शा  चालक क' इलाज लेल डीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने