पूर्णिया। 09 जनवरी। रौटा पंचायत के चन्नी गाम स्थित मदरसा सइदिया चन्नी परिसर मे दुई बरख पहिने लगाओल गेल वाटर मिनी प्लांट के टंकी व पाइप मे भेल लिकेज केर कारण एहीसे कुनु तरहक लाभ नहि भेट रहल अछि।
मदरसा प्रधान मो. शाहनवाज कहला कि पूर्णिया जे ऐहिक शिकायत एक बरख पहिने कायल गेल छल। कैको बेर ऐहिक प्रबंधक सेहो अएला मुदा एखन धरी स्थिति जस के तस बनल अछि। मौक़ा पर पहुंचल पंचायत समिति सदस्या रेणु झा संबंधित विभाग से क्षतिग्रस्त टंकी व पाइप क' बदलबाक मांग कएलन्हि। ताकि जाहि उद्धेश्य से ई मिनी प्लांट लगाओल गेल छल, ओहिके लाभ मदरसा सहित ग्रामीण ल' सकैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।