डीआरडीए सभा कक्ष मे जिला अधिकारी गिरिवर दयाल सिंह मानव श्रृंखला सँ संबंधित बैसार केलन्हि। जाहि बैसार मे मधुबनी एसपी दीपक बरनवाल सेहो मौजूद छला। बिहार मे शराबबंदी पर निबंध प्रतियोगिता आयोजित सेहो कायल जायत। 9 जनवरी से जिलाभरिक छात्र-छात्रा सभ अप्पन विधालय के प्रधानाध्यापक क' निबंध लिखी 20 जनवरी2017 तक जमा क' सकैत छैथ। विधालय से बाहर के लोग अप्पन प्रखंड विकास पदाधिकारी लग निबंध जमा करा सकैत छैथ।
डीएम कहलनि कि मानव श्रृंखला निर्माण केर तैयारी मे यदि कुनु पदाधिकारी, कर्मी बाधा उत्पन्न करैत छैथ तेँ एसडीओ हुनका हटा हुनकर प्रभार दोसर के द' जिला पदाधिकारी से अनुमोदन ल' लेता। आय से प्रचार गाडी स्पीकर लगा मानव श्रृंखला निर्माण केर प्रचार काज शुरू कायल जायत।
एहि कार्यक्रम मे प्रखंड के प्रमुख उपप्रमुख मुखिया उपमुखिया सभ पंचायत प्रतिनिधि सभ सरकारी, संविदा कर्मी आदि उपस्थित रहता। 17 से 19 जनवरी के बीच सभ पंचायत मे महिला संम्मेलन एवं मेहंदी प्रतियोगिता बीडीओ आयोजित करौता। बैसार मे डीडीसी, एसपी, एसडीओ, एसडीपीओ सहित प्रखंड के सभ बीडीओ, सीओ आर अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।