जल्दे शुरू होमै बला अछि 'कोक शताब्दी', 'पेप्सी राजधानी'

नई दिल्ली। 09 जनवरी। अगला बेर जखन अपने 'पेप्सी राजधानी' वा  'कोक शताब्दी' मे सफर करब तेँ ई एक सरप्राइज होयत। यात्री किराया या माल भाड़ा रेट क' बिना बढेना रेलवे रेवन्यू बढेबाक कोशिश मे लागल अछि। रेलवे के नवा प्लान ट्रेन आर स्टेशन क' ब्रैंड केर नाम देबाक अछि। जाहिक तहत ट्रेन या स्टेशन के आगू ओहि ब्रैंड के नाम जुड़त जे ब्रैंड ओहिक लेल पाई छुकाओत। ई प्रपोजल पूर्ण रुपे तैयार अछि आर अगला सप्ताह होय बला रेलवे बोर्ड केर मीटिंग मे एहिके पारित करबाक अनुमान अछि।

एहि प्रपोजल केर तहत कुनु भी ब्रैंड या कंपनी कुनू ट्रेन के पूरा मीडिया राइट्स किन सकैत अछि। ऐहिक बाद ओ ट्रेनक बोगि सभक भीतर आर बाहर अप्पन प्रचार करबाक लेल स्वतंत्र होयत। एक वरिष्ठ अधिकारी कहला की 'रेलवे ऐडवर्टाइजमेंट राइट्स क' एक-एक करि बेचबाक प्लान बना रहल अछि आर आब रेलवे पूरा ट्रेन केर मीडिया राइट्स देबाक लेल तैयार अछि।' 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने