दरभंगा आबै बला ट्रेन मे चोर सभ फेर चोरीक घटना क' अंजाम देलन्हि

दरभंगा। 07 जनवरी। वृहस्पति दिन जीआरपी पुलिस ट्रेन मे भेल चोरी के वारदात मामला मे अज्ञात चोर सभक खिलाफ मामला दर्ज केलन्हि अछि। जीआरपी पुलिस थाना से भेटल जानकारी केर मुताबिक सिकन्दराबाद-दरभंगा एक्सप्रेस (17007) के कोच संख्या एस-3 मे बर्थ नंबर 17 आर 20 नम्बर पर मधुबनी जिलाक भवनाथ झा अपनी पुत्री मीनू कुमारी के संग बुध दिन रायपुर स दरभंगा लेल विदा भेल रहैथ। 

यात्रा केर दरमियान अगला दिन भोर मे हुनक ट्राली बैग चोरी भ गेलन्हि। श्री झा द्वारा जीआरपी थाना मे दर्ज कराओल गेल एफआईआर मे उल्लेख कैल गेल अछि  कि हुनक ट्रोली बैग धनबाद स्टेशन के आस-पास चोरी भेलन्हि। जाहि बैगमे सोना केर अंगूठी, बाली, 2600 टाका नगद, कपड़ा सहित बहुत रास शैक्षणिक कागजात छलैन। एही बाबत पुलिस द्वारा बताओल गेल कि चोरी के मामला दर्ज क आवश्यक अनुसंधान कैल जे रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ