मीसा भारती क' विदेश मंत्रालय के परामर्शदात्री समिति केर सदस्य नियुक्त काएल गेलन्हि

पटना। 23 जनवरी। राष्ट्रीय जनता दल (राजद) के अध्यक्ष लालू प्रसाद के  पुत्री आर राज्यसभा सदस्य मीसा भारती क' विदेश मंत्रालय के परामर्शदात्री समिति के सदस्य नियुक्त काएल गेलन्हि। मीसा आय  सोमवार दिन अप्पन फेसबुक पृष्ठ पर मंत्रालय के पत्र (अधिसूचना) साझा कएलन्हि अछि।

पत्र साझा करैत मीसा अप्पन फेसबुक वाल पर लिखलन्हि अछि कि अपने के  सहर्ष अवगत करबे चाहैत छी कि हमरा विदेश मंत्रालय के  परामर्शदात्री समिति के सदस्य नामित काएल गेल अछि। एहि अवसर के लेल विदेश मंत्री सुषमा स्वराज क' विशेष रूप सं धन्यवाद दैत छियैन्ह। 

उल्लेखनीय अछि कि लोकसभा चुनाव मे मीसा पाटलिपुत्र संसदीय क्षेत्र से चुनाव लड़ल छली, मुदा हुनका हार केर सामना करे पड़ल छलैन्ह। फिलहाल ओ राज्यसभा सदस्य छथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने