कोलकाता से रक्सोल जायबला मिथिलांचल एक्सप्रेस ट्रेन से जोगियारा रेलवे स्टेशन पर शराब की खेप उतारल जायत छल। कैल्ह सेहो शराब के बड़का खेप उतारल गेल छल। जोगियारा रेल गुमटी संख्या 28 पर तीन टेम्पो व एक टमटम पर शराब के कार्टून लादल गेल छल। एहि बीच पुलिस के गठित टीम जाले थनाध्यक्ष रामकिशोर शर्मा केर नेतृत्व मे छापा मारी सभके अपना कब्जा मे ल' लेलन्हि। गिरफ्तार युवक सभसे करीब पांच लाख टाका नकद सेहो बरामद कायल गेल अछि। छापामारी टीम मे अनि बरकु हंसदा, तारिक अहमद अंशारी, सअनि ब्रेजेश पांडये, शिवनाथ यादव, श्याम कुमार, अनिल शर्मा आदि शामिल छलाह।
कार्टून मोटरी व अन्य सामग्री मे नुका के राखल गेल छल। गिरफ्तार सभ युवक कूरियर के काज करैत छैथ। शराबक कार्टून रेल से बुक कराके आनल जायत छल। गिऱफ्तार लोग मे पांच जाले पूर्वी पंचायत के समधिनियां गाम निवासी छैथ। एहि धंधा मे एक दिव्यांग सेहो शामिल बताओल जे रहल अछि। पुलिस समधिनियां गामक राजकुमार महतो, शनिचर साहू, सरोज साहू, कालीचरण महतो, रेवढा के राकेश प्रसाद, सीतामढ़ी जिला के नानपुर थाना क्षेत्रक बोखरा निबासी दिव्यांग मो. जफीर, शंभु साहू, संधिनिया क' गिरफ्तार केलन्हि अछि।
गिरफ्तार सभ लोग पुलिस क' बतौलन्हि कि ओ सभ कूरियर के काज करैत छैथ। कोलकाता मे रहे बला मजदूर या छोट - मोट व्यवसाई कूरियर के माध्यम से टाका व आन सामग्री भेजैत छैथ। ऐहिक आड़मे बंगाल निर्मित अंग्रेजी शराब केर ढुलाई कायल जायत अछि। जब्त शराब मे मैकडॉवेल एक लीटर प्रत्येक 18 पीस, 30 पीस रॉयल स्टैग, एक लीटर, मैकडाबेल 750, एमएल, प्राउड पाउच 144 पीस 180 एमएल शराब शामिल अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।