व्हाट्सएप पर पसैर रहल अछि फेक सनेस, क्लिक कैरते हैक भ' सकैत अछि अपनेक स्मार्टफोन

पटना। 32 जनवरी। यदि अपने एंड्रायड स्मार्टफोन मे व्हाट्सएप उपयोग करैत छी तेँ सावधान भ' जाऊ। अपने के बता दी कि आय कैल्ह एहेन सनेस शेयर कायल जे रहल अछि, जाहिक जरिये हैकर आसानी से अपनेक निजी जानकारी हैक क' सकैत अछि। 

आय कैल्ह व्हाट्सएप पर एक सनेस ई-कॉमर्स वेबसाइट अमेजन आर  फ्लिपकार्ट केर नाम से शेयर कायल जे रहल अछि। एहि सनेस मे 500 टाका मे आईफोन आर 1 टाका मे कैको शानदार इनाम देबाक कायल जायत अछि। कैको गोटा एहि फेक सनेस के झांसा में आएब सनेस मे देल गेल लिंक पर क्लिक क' दैत छैथ। ध्यान राखी एहि तरहक सनेस बिल्कुल फेक अछि। संगहि सनेस के द्वारा जाहि वेबसाइट पर यूजर रीडायरेक्ट होयत छैथ ओहो पूरा तरहे फेक अछि। 

एहि तरहक सनेस व्हाट्सएप ग्रुप सभमे तेजी से पसैर रहल अछि। एहिमे देल गेल लिंक पर क्लिक कैरते सबसे पहिने विकल्प आबैत अछि जे एहि सनेस के आठ ग्रुप मे भेजू। इनाम लेबाक लालच मे लोग तुरंत एहि सनेस क' आगा फॉरवर्ड क' दैत छैथ।

साइबर एक्सपर्ट के कहब छैन्ह कि आय कैल्ह व्हाट्सएप पर चैल रहल एक टाका आर 500 टाका मे आर्इफोन बला सनेस अपने के फोन तेँ नहि दियाओत, मुदा अपनेक क्लिक कैरते अपनेक मोबाइल मे वायरस पसारबाक संगे संग मोबाइल से पूरा डाटा चोरी क' लेत। लालच से बची आर एहि तरहक सनेस से परहेज करि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने