राम मंदिरक निर्माण लेल UP-BJP अध्यक्ष केर आयल बड़का बयान

नई दिल्ली। 25 जनवरी। भाजपा 11 फरवरी से उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव के पहिल चरणक मतदान से पहिने विवादास्पद राममंदिर केर मुद्दा एक बेर फेर उठौलन्हि अछि। 11 फरवरी दिन प्रदेश मे पहिल चरण के मतदान होबाक अछि ऐना मे राम मंदिर के मुद्दा उछाईल बीजेपी वोटक ध्रुवीकरण करे चाहैत अछि। 

पार्टी के प्रदेश अध्यक्ष केशव प्रसाद मौर्य कहलनि अछि कि यदि प्रदेश मे भारतीय जनता पार्टीक पूर्ण बहुमत सँ सरकार बनैत अछि तेँ अयोध्या मे भव्य राम मंदिर केर निर्माण कराओल जायत। आगा ओ कहलनि कि बीजेपी पूर्ण बहुमतक संग सत्ता मे आयत आर चुनाव के बाद मंदिर केर निर्माण कायल जायत। किएक जे राम मंदिर आस्था के सवाल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने