छपरा मे अपराधि सभक गोली सँ पिता केर मौत, गंभीर रुपे घायल बेटा क' पीएमसीएच रेफर कायल गेल

छपरा। 25 जनवरी। शहर के साहेबगंज बुटनबाड़ी मोहल्ला मे कैल्ह मंगलवार देर रति भूमि विवाद मे अपराधि सभ बरतन कारोबारी पिता-पुत्र क' गोलि मैर देलन्हि। घायल दुनु पिता-पुत्र क' सदर अस्पताल मे भरती कराओल गेल, जता डॉक्टर सभ पिता क' मृत घोषित क देलन्हि। जखनकि गंभीर रुपे घायल बेटा क' पीएमसीएच रेफर कायल गेल अछि। 

घटनाक संबंध में नगर थानाध्यक्ष रवि कुमार कहला कि भोला प्रसाद अप्पन पुत्र धीरज कुमार संग घर जायत छलाह। घर लग पहुँचते अपराधि सभ हुनका दुनु पर अंधाधुंध फायरिंग शुरू क' देलैन्ह आर फरार भ' गेलैथ।  गोलीक आवाज सुइन घर लोग व आसपास के लोग ओता पहुँचल। परोसी सभक सहयोग से परिजन दुनु क' सदर अस्पताल ल' गेलैन्ह, जते पिता क' मृत घोषित क' देल गेलैन्ह। थानाध्यक्ष कहला कि घटना के जांच शुरू क' देल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने