शराबी डॉक्टर नशामे फहरौलन्हि तिरंगा, पुलिस कएलन्हि गिरफ्तार

औरंगाबाद। 27 जनवरी। औरंगाबाद जिलाक स्वास्थ्य केंद्र मे कैल्ह गणतंत्र दिवसक अवसर पर एक चिकित्सक शराबक नशामे झुमैत तिरंगा   फहरौलन्हि। आरोपी डॉक्टर क' गिरफ्तार क' लेल गेलैन्ह। पुलिसक अनुसार, इंदरार गाम स्थित अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र मे पदस्थ डॉ. तालकेश्वर सिंह तिरंगा फहराबैत घरी नशामे छला।

ग्रामीण सभ ऐहिक सुचना तुरंत पौथु थाना पुलिस क' देलैन्ह। पौथु के थाना प्रभारी अरविंद कुमार कहला कि पुलिस तुरंत इंदरार गाम पहुंच चिकित्सक तालकेश्वर सिंह क'  को लेलैन्ह, ओ सचमुच नशा के हालत मे छला। पुलिस तालकेश्वर सिंह के मेडिकल जांच लेल रफीगंज प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र ल' गेलैन्ह।

पुलिसक मुताबिक, स्वास्थ्य केंद्र के चिकित्सक  डॉ. तालकेश्वर के नशामे   होयबाक पुष्टि केलन्हि अछि। पुलिस मामलाक छानबीन क' रहल अछि।  चिकित्सक से पूछताछ कायल जे रहल अछि कि प्रतिबंध के बावजूद ओ  शराबक जुगाड़ कोना केलन्हि। अपने के बता कि बिहार मे पिछ्ला बरखक अप्रैल से पूर्ण शराबबंदी लागू अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने