निःशुल्क जांच शिविर केर आयोजन

दरभंगा। 09 जनवरी। पन्ना यूरो एंड ईएनटी केयर सेंटर तरफ से कैल्ह रविवार दिन वीआईपी रोड स्थित अस्पताल मे गुर्दा, पथरी, प्रोस्टेट व मूत्र रोग विशेषज्ञ दरभंगा के प्रथम मास्टर ऑफ यूरोलॉजी डॉ. गौतम कानोडिया व ईएनटी विशेषज्ञ डॉ. मोना सरावगी (कानोडिया) निःशुल्क जांच शिविर  केर आयोजन केलन्हि। 

एहि शिविर मे दूरबीन द्वारा गुर्दे, मूत्र केर नली एवं थैली के पथरीक ऑपरेशन, दूरबीन द्वारा प्रोटेस्ट ग्रंथि केर ऑपरेशन, पेशाब के रस्ताक सिकुड़न केर ईलाज, यूरोलॉजी संबंधीत कैंसर केर परामर्श एवं ईलाज, डायलिसिस, कानक पर्दे केर अत्याधुनिक तकनीक से प्रत्यारोपन, बहरेपन संबंधित समस्या, नाक, कान आर गला मे फसल कुनु वस्तु केर  दूरबीन द्वारा इलाज, आइख मे नोर केर थैली केर दूरबीन द्वारा ईलाज, नाक केर टेढापन  आर विकृत हड्डी केर उपचार, माथ दर्द  व चक्कर संबंधित समस्या केर ईलाज केर निःशुल्क जांच शिविरक माध्यम से जांचक संगहि मरीज सभ के उचित सलाह सेहो देल गेल। ओतहि मौक़ा पर सिपला कंपनी के एबीएम हेमंत कुमार मौजूद छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने