राष्ट्रपति के बजट अभिभाषण केर दौरान सांसद ई.अहमद के दिलक दौरा, हालात गंभीर बताओल जे रहल अछि

नई दिल्ली। 31 जनवरी। केरल के वरिष्ठ सांसद ई.अहमद क' संसद के केंद्रीय सभागार मे आय दिलक दौरा पड़लैन्ह। हुनक हालत गंभीर बताओल जे रहल अछि। राम मनोहर लोहिया (आरएमएल) अस्पताल के एक वरिष्ठ चिकित्सक कहला कि अहमद के हालत गंभीर अछि आर ओ  फिलहाल आईसीयू मे चिकित्सक सभक गहन निगरानी मे छैथ। 

अपने के बता दी कि राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी के संसद मे अभिभाषण केर  दौरान अहमद बेहोश भ' गिर परला, जाहिक बाद हुनका आरएमएल अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। 78 बरखक अहमद यूपीए सरकार मे मंत्री रैह चुकल छैथ। इंडियन यूनियन मुस्लिम लीग पार्टी के नेता अहमद 1991 से केरल के मलप्पुरम सीट से लोकसभा सांसद छैथ। अस्पताल प्रशासन के मुताबिक, कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी आर पूर्वोत्तर क्षेत्र विकास मंत्री जितेंद्र सिंह अहमद का हालचाल बुझबाक लेल आएमएल पहुंचला। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो हुनकर हालचाल के पता केलैन्ह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने