वसन्त पंचमी के अवसर पर सुच्चा मैथिल संस्था द्वारा रक्तदान शिविर के आयोजन

मुम्बई। 01 फरवरी। सुच्चा मैथिल के राष्ट्रीय अध्यक्ष रामनरेश शर्मा कहला की एहि बरख वसन्त पंचमीक अवसर पर सुच्चा मैथिल संस्था द्वारा मुम्बई मे "रक्तदान शिविर" मधुबनी मे "निःशुल्क चिकित्सा जाँच शिविर" आ दरभंगा मे निःशुल्क शिक्षा केंद्र केर शुरुआत कायल जायत। 

आगा ओ सभसे रक्तदान करबाक अपील करैत कहला कि ईश्वर हमरा लोकनि के किनको जिनगी बचेबाक अधिका देना छैथ, हम सभ रक्तदान करि दोसराक जिनगी के रक्षा करि। 

पहिल कार्यक्रम :- दिनांक : 1 फरवरी 2017 
 भव्य रक्तदान शिविर (समय 12 से 4 बजे तक)
पता :-गाला नं.2, जीवदानी छाया बिल्डिंग, ठाकुर विद्यालय के नजदीक, प्रगति नगर, नालासोपारा(पूर्व), मुम्बई
सम्पर्क:रामनरेश:9221074141मदन:8080557644 मिथलेश:9920958688

दोसर कार्यक्रम :- दिनांक 2 फरवरी 2017
निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविर (समय:- प्रातः 10 से 3 बजे तक)
स्थान :- महादेव स्थान, ग्राम+पोस्ट:-जगवन, थाना:-बिस्फी, जिला : मधुबनी, बिहार (विशेष सहयोगी : युवा एकता मंच जगवन)
एहि शिविर मे संपूर्ण स्वास्थ्य जांच के व्यवस्था सहित डेन्टल आर होमियोपैथिक  चिकित्सा के सेहो बन्दोबस्त कायल गेल अछि। 

डॉक्टर वृन्द :-
डॉ. भवेश मंडल(डेन्टल)
डॉ. मुकेश कुमार (मेडिकल)
डॉ. नारायण मंडल (हैमियोपैथिक)
संपर्क नं. :-9702853091, 8757015503

तेसर कार्यक्रम :- दरभंगा जिलाक बेनीपुर अनुमंडलान्तर्गत कोठबन्ना (दक्षिण टोल) गाम में मुफ्त शिक्षा देबाक लेल संस्था द्वारा संस्कारशालाक स्थापना। सम्पर्क :- वैद्य ओ पी महतो (मुख्य सलाहकार सह बिहार प्रभारी) 9934035665, 9122139657

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ