नशामुक्त प्रदेश बनत बिहार : नीतीश कुमार

गोपालगंज। 31 जनवरी। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जते थावे के अत्याधुनिक भव्य प्रखंड सह अंचल कार्यालय केर उद्घाटन केलैन्ह। ओतहि एहि दौरान लछवार पंचायत मे पहुँच सात निश्चय कार्यक्रम केर तहत कायल जे रहल विकास योजना सभक जानकारी लेलैन्ह। 

नीतीश कुमार निर्धारित समय पर पहिने थावे होमगार्ड मैदान मे हेलीकॉप्टर से पहुंचला। फेर ओता से सडक मार्ग से होयत थावे के नवनिर्मित प्रखंड कार्यालय पहुंचला। जता सीएम प्रखंड सह अंचल कार्यालय भवन केर उद्घाटन केलैन्ह। ओहिक बाद सड़क मार्ग से ओ थावे के लछवार पंचायत के वार्ड नं. 2 मे पहुंचला। जता दरबाजा - दरबाजा घुमैत नीतीश कुमार पंचायत के वार्ड संख्या 2 के दलित बस्ती मे पहुंच एक-एक परिवार से मिल धरातल पर चैल रहल सात निश्चय कार्यक्रम के तहत 4 योजना सभक  हकीकत देखला। संगहि हर घर नल के जल, घर-घर पक्की गली-नाली, हर घर बिजली आर शौचालय एक-एक चीज के बारीकी से अध्यन केला आर गामक हर परिवार से मिल हुनका सभक  समस्या सेहो सुनला। ओतहि निश्चय यात्रा कार्यक्रम के तहत मुख्यमंत्री  आगमन पर लछवार दलित बस्ती क' दुल्हन जोका सजाओल गेल छल। 
 
सभ दिस फूल आ रंगोली से घर आंगन के संगे - संग नवनिर्मित पक्की सड़क सेहो फूल एवं रंगोली से सजाओल गेल छल।ग्रामीण सभसे मिललाक बाद सीएम पंचायत भवन के सामना बनल आयोजन स्थल पहुंचला। सीएम के संग उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव सेहो मौजूद छला।  बाद मे सीएम नीतीश कुमार लोग सभके संबोधित करैत कहला कि बिहार मे शराबबंदी के बाद नशामुक्ति के बारी अछि। आब बिहार क' नशामुक्त प्रदेश बनाओल जायत। सूबे मे शराबबंदी के बाद प्रदेश मे कपड़ा के बिक्री 44 फीसदी बढ़ल अछि। जखनकि सिलाई मशीन के बिक्री 19 फीसदी बढ़ल अछि। आगा ओ कहला कि ई बदलैत बिहारक तस्वीर अछि। जते शराब बंदी के बाद अब लोग सभक घरमे खुशहाली लौट रहल अछि।  

ओतहि नीतीश कुमार लोग सभके संबोधित करैत कहला कि सूबे मे ओहेन युवा सभक कमी आइब रहल अछि। जे इंटर के बाद उच्च शिक्षा नहि क' पाबैत छला। तैयो एखन  उच्च शिक्षा के प्रतिशत मात्र 13 फीसदी अछि। जाहिके 35 फीसदी पर ल' जायब हम्मर लक्ष्य अछि। नीतीश कुमार छात्र-छत्रा सभसे अपील करैत कहला कि प्रदेश के युवा उच्च शिक्षा लेल आगू आबैथ। ओ उच्च शिक्षा ग्रहण करबाक लेल स्टूडेंट ग्रीन  क्रेडिट कार्ड केर  प्रयोग करैथ। राज्य सरकार हुनका सभके स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड के लेल आब हुनकर सूदक पाई सेहो सरकारी खजाना से देत। ऐहिक लेल अभिभावक अप्पन बच्चा सभके आगा पढ़बाक लेल प्रेरित करैथ। 

आगा ओ कहला कि सात निश्चय के तहत 2020 आबैत - आबैत सभ सभ पंचायत क' सात निश्चय कार्यक्रम के तहत लैश क' देल जायत। प्रखंड सँ ल'के अनुमंडल धरी, अनुमंडल सं ल'के जिला धरी शिक्षा केर हब बनाओल जायत। जिला मे पारा मेडिकल, पोलिटेक्निक कॉलेज, एएनएम कॉलेज, नर्सिंग कॉलेज, आईटीआई जिला सँ ल'के प्रखंड तक खोलल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने