मानवाधिकार आयोग कएलन्हि मानव सेवा

दरभंगा। 09 जनवरी। मानवाधिकार एवं सामाजिक न्याय आयोग दिस से कैल्ह रविवार दिन बहादुरपुर प्रखंड अंतर्गत सिनुआर गोपाल गाम स्थित मध्य विद्दालय मे गरीब सभक बीच कंबल वितरण कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल। जाहि कार्यक्रम केर अध्यक्षता आयोग के प्रदेश उपाध्यक्ष रोहित कुमार सिंह केलन्हि। 

कंबल वितरण कार्यक्रम मे मुख्य अतिथि के रूप मे मिथिला विवि के प्रोफेसर सह समाजेवी डॉ. जय शंकर झा कहलनि कि मानव सेवा से बढ़िके कुनु सेवा नहि अछि। डॉ. झा  कहला कि मानवाधिकार एवं सामाजिक न्याय आयोग के सदस्य सभ जिला मे मानवाधिकार केर रक्षा व सेवा के लेल हर संभव प्रयास क' रहल अछि। कंबल वितरण समारोह मे 200 से बेसी जरूरतमंद लोग सभक बीच कंबल वितरित कायल गेल। ओतहि आयोग के जिला अध्यक्ष निखिल झा व युवा प्रकोष्ट के महासचिव उज्जवल कुमार कहला कि कंबल वितरण सिर्फ एक कार्यक्रमे तक सिमित नहि अछि ई एक मुहीम थीक।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने