पटना। 06 जनवरी। प्रकाशोत्सव केर मौक़ा पर एक दिस जते प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आर बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के बीच गीला - शिकवा दूर होयबाक बात कहल जे रहल अछि। ओतहि सोदर दिस गिरिराज सिंह अप्पन चिर परिचित अंदाज मे नीतीश कुमार पर हमला केलन्हि अछि।
ओ अप्पन एक टटका बयान मे कहलनि कि नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मानबाक चाहत मे बिहार केर विकास रोकलन्हि। आगा गिरिराज कहलनि कि NDA मे पीएम पद केर कुनु वैकेंसी नहि अछि।
केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह हमला जारी राखैत कहलनि कि जदयू क' बीजेपी नही निकाललन्हि बल्कि जदयू बीजेपी क' निकाललन्हि। ई सिर्फ नीतीश कुमार केर महत्वाकांक्षाक कारण कायल गेल छल। हुनका प्रधानमंत्री बनबाक चाहत छलैन्ह। एहि चाहत मे ओ बिहार के विकास मे बाधा उत्पन्न केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।