पूर्णिया। 06 जनवरी। बिहार पुलिस मॉडर्न हेल्प लाइन पोर्टल सेवा केर शुरुआत केलन्हि अछि। आब अपने के थाना जेबाक जरूरत नहि परत अपने कतहुँ से ऑनलाइन सेवा केर जरिया शिकायत दर्ज करा सकैत छी जाहि पर महज 4 घंटा मे होयत कार्रवाई। ऐहिक लेल आय समाहरणालय मे सभ पुलिस पदाधिकारि क' एक दिवसीय प्रशिक्षण देल गेल।
पुलिस मॉडर्न हेल्प लाइन पोर्टल के खास बिंदु;
- घर बैसल कुनु भी थाना मे शिकायत दर्ज करा सकैत छी।
- 4 घंटा के भीतर होयत कार्रवाई।
- एफ आई आर केर कॉपी थानाध्यक्ष के मोबाईल पर भेटत।
- सूबे के सभ वरिष्ठ पुलिस पदाधिकारी सीधे जुड़ल रहत पोर्टल से।
- आब अपने के कुनु भी पुलिस पदाधिकारि लग हुज्जत नहि करे परत।
- आब अपने सीधे कुनु भी थाना क' मोबाईल से भेज सकैत छी अप्पन शिकायत।
- अगर अपनेक शिकायत पर 4 घंटा के भीतर थानाध्यक्ष कुनु कार्रवाई नहि केलन्हि तेँ अपनेक शिकायत 4 घंटा 1 मिनट मे ऑटोमेटिक वरीय पुलिस अधिकारी लग ट्रांसफर भ' जायत।
- शिकायत दर्ज भेलाक बाद तुरन्त सम्बन्धित थानाध्यक्ष केर फोन अपनेक मोबाइल पर आयत।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।