मानव श्रृंखला केर कतार मे ठाढ़ बचिया भेली बेहोश

दरभंगा। 21 जनवरी। मानव श्रृंखला केर कतार मे ठाढ़ बचिया भेली बेहोश। प्राप्त सुचना केर मुताबिक मध्य विद्यालय उजान केर छठम कक्षा के छात्रा नाजिया खातून मानव श्रृंखला केर कतार मे ठाढ़ रहबाक रदमियान एकाएक बेहोश भ' गेली, जिनका समय पर पहुंचल प्रशासनक टीम एम्बुलेंस से मनीगाछी पीएचसी पहुँचेलन्हि। नाजिया खातून मनीगाछी एन.एच 57 पर टोल टैक्स लग कतार मे भेली बेहोश। एहि कतार मे लागल एक बचिया तुलशी कुमारी सेहो बेहोश भेली मुदा हुनका  तत्काल होश आइब गेलैन्ह। ऐहिक संगे सगर बिहार से खबैर आइब रहल अछि कि मानव श्रृंखला मे ठाढ़ रहबाक दौरान 8 छात्र/छात्रा बेहोश भेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने