गणतंत्र दिवस पर पैन से सराबोर भेल दिल्ली, जनवरी मे एहि सदीक सभसे बेसी बारिशक बनल रेकॉर्ड

नई दिल्ली। 27 जनवरी। दिल्ली मे कैल्ह 26 जनवरी दिन भेल बारिश रेकॉर्ड तोईड़ देलन्हि अछि। ई राजधानी मे जनवरी माह के कउनु एक दिन मे भेल एहि सदीक सभसे बेसी बारिश छल। कैल्ह गुरुवार सांझ तक दिल्ली मे लगभग 24 एमएम बारिश दर्ज गेल।

कैल्ह दिल्ली सहित उत्तर भारत के अधिकतर इलाका मे बारिश भेल। जम्मू कश्मीर, उत्तराखंड, हिमाचल प्रदेश मे भारी बर्फबारी सेहो भेल। ओतहि हिसार, कपूरथला, जालंधर सहित पंजाब आ हरियाणा के इलाका मे तेज बारिश संग ओला गिरबाक खबैर अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने