एहि थाना केर अंतर्गत दुनु पुलिस पिकेट सेहो जर्जर भवन मे चलैत अछि। पिकेट के अप्पन भवन तक नहि अछि। ताजपुर मे स्थित पिकेट कॉपरेटिव के जर्जर भवन मे संचालित होयत अछि। महम्मदपुर मे उप स्वास्थ्य भवन के पुरनका भवन मे संचालित होयत आछो दोसर पिकेट।
एहि थाना मे बहुत रास वाहन आर आन समान बरामद होयत रहैत अछि। थाना मे सड़ी रहल वाहन आर आन सामान क' पुलिस विभिन्न कांड मे कुर्की केर दौरान जब्त केलन्हि अछि। कैको वाहन तें कागजात जांच एवं ओवरलोडिंग लेल पकड़ल गेल अछि। थाना मे सड़ी वाहन मे स्कार्पियो, इंडिका, बोलेरो, पिकअप वैन, मोटरसाइकिल शामिल अछि। थाना मे मालखाना आर गोदाम नहि होयबाक कारण से कुर्की के दौरान जब्त कायल गेल घरेलू सामान खुला आसमान के नीचा राखल अछि। घरेलू सामान मे फर्नीचर, बर्तन सहित कैको समान सड़ी रहल अछि।
मालखाना आर गोदाम नहि होयबाक कारण से वाहन आर कुर्की से जप्त कायल गेल समान कबाड़ा जोका राखल अछि। अंग्रज सभक ज़माना के बनल जर्जर खपड़नुमा भवन मे पदाधिकारि आर पुलिस कर्मि सभक मेश चलैत अछि। जे कहियो भी ध्वस्त भ' सकैत अछि। सरकार द्वारा थाना के आधुनिकीकरण आर हाइटेक बनेबाक योजना मजाक बनि रही गेल अछि। सरकारी उदासीनता के कारण थाना मे सुविधा व संसाधन सभक घोर अभाव अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।