फेसबुकिया प्यारक चक्कर मे मध्यप्रदेश पुलिस पहुंचल दरभंगा

दरभंगा। 24 जनवरी। सोशल मीडियाक क्रेज किछ एहितरहे युवा सभ पर  हावी अछि कि ओ अप्पन जिंदगीक फैसला, साथ जीबै मारैक वादा फेसबुके पर क' लैत छैथ, चाहे हजारों किलोमीटर दूरे सही, ओ प्रेमक राह तक पहुंचे जायत छैथ। 

एहने एक प्रेम प्रसंगक मामला दरभंगा के विश्वविद्यालय थाना मे कैल्ह सोमवार क' देखबाक लेल भेटल। मध्य प्रदेश के थाना चुरहट के 18 वर्षीय युवती केर विवि थाना अंतर्गत बेला निवासी जय प्रकाश कुमार नामक लड़का से फेसबुक पर दोस्ती भेलैन्ह, दोस्ती प्यार मे बदैल गेलन्हि। प्यार एहि तरहे दुनु पर हावी भेल कि विगत 17 तारीख क' युवती दरभंगा के लड़काक संग जीबै मारैक कसम खा घर से भाईग गेलीह। 

लड़की के परिवारक लोग मध्यप्रदेश स्थित चुरहट थाना मे बेटी केर  गुमशुदगीक मामला दर्ज करौलन्हि। एहिसंबंध मे नया मोड़ तखन आयल जखन मध्यप्रदेश के पुलिस दरभंगा के विवि थाना पहुँचल, जते विवि थाना केर मदद सँ विवि अंतर्गत प्रेमी युगल क' थाना आनल गेल। 

युवती बतौलन्हि कि प्रेमी जय प्रकाश से हुनका फेसबुक केर माध्यम से प्यार भेल छलैन्ह। जाहिक बाद ओ फोन से बात करे लागली, फेर दुनु गोटा  संग जीबै मारैक लेल ठानली। युवती 17 तारीख क' घर से भागी दरभंगा पहुँच मंदिर मे बियाह क' लेलिह।

जय प्रकाश अप्पन परिवारक सदस्य के राजी करि प्रेमी युवती क' अपना  घर मे पत्नी के रूप मे राखे लागला। लड़का के पिता कहलनि कि हुनकर बेटा युवती संग कोर्ट मे बियाह क' लेना छैथ आर ओ दुनु संग रहे चाहैत छैथ। एहि आधार पर युवक के पिता प्रेमी जोड़ा के अप्पन घर मे जगह देलखिन।

मामला मे नवा मोड़ तखन आयल जखन युवती कहली कि ओ आब अप्पन परिवार लग मध्यप्रदेश नहि जाय लेल चाहैत छथि। एहि पूरा मामला लेल दुनु प्रेमी युगल क' सीजीएम कोर्ट मे पेश करबाक लेल ल' गेल गेलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने