पंजाब के संगरूर जिला से जुड़ल सोही बरख 1981 मे कनाडा शिफ्ट भ' गेल छला आर 1988 मे भूमि अधिकार पर एक थियेटर प्रोग्राम मे हिस्सा लेबे बिहार आयल छला। ओहि समय हुनका टाडा के तहत गिरफ्तार क' लेल गेल छलैन्ह। सोही करीब 21 माह तक कैद मे रहला। अंतरराष्ट्रीय संगठन सभ हुनकर रिहाई लेल आवाज उठौलन्हि। ओनाकि, हुनका खिलाफ कहियो औपचारिक तौर पर चार्ज नहि दाखिल भेल।
बाद मे सबूत सभक अभाव मे सोही बरी भ' गेला। गौरतलब अछि कि कनाडा मे बस ड्राइवर के रूप मे अप्पन जिंदगी शुरू करै बला सोही बाद मे ओताकेँ सिटी काउंसलर चुनल गेला। दोबारा मतगणना मे महज 92 मत से एक मंत्री क' हरा ओ संसद केर चुनाव जीतला। ओ 2013 मे सेहो भारत आयल छलाह। एहिबेर एक अहम व्यापारिक प्रतिनिधिमंडल केर अगुवाई क' रहल सोही दिल्ली, अहमदाबाद आर मुंबई औता। अपने के बता दी कनाडा मे 4 सिख मंत्री अछि, जाहिमे रक्षा मंत्री हरजीत सज्जन सेहो जल्दे भारत आबै बला छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।